इलाजक लेल घंटो तड़पैत रहल मिथिला मिररकें पत्रकारक, अस्पताल प्रशासन आ सिपाही केलक बदतमीजी

    0
    358

    दिल्ली, मिथिला मिरर: मंगल दिन दिल्लीक कनॉट प्लेसमे मिथिला मिररकेँ वीडियो पत्रकार राहुल कुमार झाक एक्सीडेंट भए गेल। एक्सीडेंटकें बाद खून सँ लथपथ राहुल असगरे लेडिहार्डिंग अस्पताल पहुँच कए डॉक्टर सँ इलाज करबाक गुहार लगेलनि मुदा एहेन अवस्थाकेँ देखितहु डॉक्टर पत्रकार सँ पर्चा अनबाक लेल कहलक। पत्रकार जहन डॉक्टरकें अपन मज़बूरी आ असगरे हेबाक बात कहलनि तकरा बादो डॉक्टर पर कोनो असर नहि पड़ल आ राहुलकें नाक सँ खून बहैत देखलाक बादो ओ पर्ची अनबाक जिद्द पर अरल रहल।

    एतबे नहि ई त डॉक्टरक अपराध छल, ओतहि बगलमे बैसल दिल्ली पुलिसक़ सिपाही सँ जहन राहुल मददि करबाक बात कहलनि त सिपाही उलटे ओतए सँ भगेबाक प्रयास केलक। एतबहि नहि नाम पुछला पर सिपाही राहुलकेँ फ़ोन तोड़ि देलक आ पर्चा फारि कए ओतए सँ बहार निकलबा देलक। एक घंटा धरि बाहरमे ठाढ़ एकटा पत्रकारक नानक सँ खुनक पमार बहैत रहल मुदा अस्पताल प्रशासन आ पुलिस चुपचाप तमाशा देखैत रहल।

    एक घंटा बाद जहन राहुलके किछु परिचित मित्र अस्पताल पहुँचलाह तहन जा कए इलाज शुरू कएल गेल। सिपाही सँ बादमे जहन पूछल गेल त ओ फेर राहुलक मित्र लोकनिकें संग बदतमीजी केलक आ दुबारा बाहर करंबा देलक। देशक राजधानीमे एकटा पत्रकारक संग एहेन निर्दयता निंदनीय अछि, पत्रकारक संग यदि एहेन तरहक घटना घटि सकैत अछि त आम लोकक भगवान जानैथ।