मुजफ्फरपुर के 17 गोट स्कूल मे एक करोड़ रुपैयाक घोटाला

    0
    296

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: भवन निर्माणक नाम पर जिला के सरकारी स्कूल मे एक करोड़ रुपैयाक घोटाला सामने आयल अछि। 17 गोट स्कूल के हेडमास्टर मिलि कय राशिक घोटाला केलनि अछि। रकम अतिरिक्त वर्ग कक्ष व प्रधानाध्यापक कक्ष निर्माणक लेल भेटल छल। ई खेल पांच प्रखंडक 17 स्कूल के प्रधानाध्यापक केलनि अछि। एतेक पैघ राशिक एक संग घोटाला भेला सं शिक्षा विभागक हालत ख़राब अछि। शिक्षा विभागक अधिकारी आनन-फानन मे बीइओ के मामला मे प्राथमिकी दर्ज करबाक निर्देश देलक अछि।

    बिहार शिक्षा परियोजना परिषद स भवन निर्माणक लेल अलग-अलग वित्तीय वर्ष मे राशि निर्गत कायल गेल छल। भवन प्रभारी अहि राशिक निकासी त कय लेलक, मुदा निर्माण कार्य पूरा नहि कराओल गेल। अहि मे अधिकतर काज वर्ष 2010-11 व 2011-12 के अछि।
    स्थलीय सत्यापन के दौरान राशि गबनक मामला सामने एला पर विभाग मे खलबली मचल अछि। अहि बात के गंभीरता स लैत डीपीओ प्रारंभिक शिक्षा व सर्वशिक्षा अभियान नीता पांडेय बीइओ कटरा, कुढ़नी, मीनापुर, गायघाट व मोतीपुर के गबनक दोषी प्रधानाध्यापक के खिलाफ संबंधित थाना मे एफआइआर दर्ज करेबाक निर्देश देलनि।