तेसर टेस्ट मैच मे इंग्लैंड के आठ विकेट सं हरेलक भारत, श्रृंखला मे 2-0 सं आगू

    0
    289

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: एक फेर स्पिनर के बेहतरीन प्रदर्शन के बल पर भारत तेसर क्रिकेट टेस्टक चारिम दिन मंगलदिन इंग्लैंड के आठ विकेट स हराकय पांच मैचक श्रृंखला मे 2-0 के बढ़त बना लेलक अछि। भारतक स्पिन तिकडी आर अश्विन (तीन विकेट), रविंद्र जडेजा आ जयंत यादव (दू-दू विकेट) दोसर पारी मे इंग्लैंड के 236 रन पर पवेलियन पठा देलक।

    टीम मे आठ साल बाद वापसी करय वला पार्थिव पटेल 53 गेंद मे 11 चौका आ एक छक्का के मददि सं नाबाद 67 रन बनेलनि। जाहि सं भारत 103 रनक लक्ष्य दू विकेट गवा क आसानी स हासिल कयलेलक। पटेल एक्स्ट्रा कवर मे चौका जड़िकय भारत के जीत तक पहुंचेलनि।

    पटेल आ चेतेश्वर पुजारा (25) 15.2 ओवर मे 81 रनक साझेदारी कय भारत के 20.2 ओवर मे लक्ष्य तक पहुंचा देलक। पार्थिव टी20 क्रिकेट के अप्पन महारथ के नमूना पेश करैत आक्रामक पारी खेलेलनि। ओ 50 रन सिर्फ 39 गेंद मे आठ चौका आ एकटा छक्का के संग पूरा केलनि।

    अहि सं पहिने युवा हसीब हमीद के 156 गेंद मे 59 रनक मददि स इंग्लैंड 200 रनक आंकड़ा पार केलक। आँगुर मे चोटक बावजूद आठम नंबर के बल्लेबाज हमीद ई उम्दा पारी खेलेलनि, जाहि मे छह चौका आ एक छक्का शामिल छल।