सुकमामे शहीद भेल नरेश यादवक परिजन सं भेंट केलनि विधान परिषद सदस्य सुनील कुमार सिंह

    0
    554

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार विधान परिषद सदस्य सुनील कुमार सिंह छतीसगढ़केँ सुकमामे नक्सली हमलामे शहीद भेल दरभंगाक अहीला गामक लाल नरेश यादवकें घर जाकए शहीदक परिजन सं भेंट केलनि। सुनील कुमार अहिला गाम जा कए शहीदक आत्माक शांतिक लेल प्रार्थना केलनि।

    ज्ञात हो कि सुकमामे नक्सलीय हमलामे शहीद भेल नरेश यादवक बुधदिन राजकीय सम्मानक संग संस्कार कएल गेल, जाहिमे हजारोक संख्यामे लोक पहुँच कए शहीदकें श्रद्धांजलि अर्पित केलनि।