नशा मुक्त बिहार’क निर्माणकें लेल निकलल ‘जन जागृति रथ’

    0
    387

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहार प्रदेश माध्यमिक शिक्षक एवं शिक्षकेत्तर कर्मचारी महासंघक दिस सं नशा मुक्त बिहारक निर्माणक लेल निकालल गेल जन जागृति रथके जदयू जिलाध्यक्ष सह पूर्व सांसद अश्वमेघ देवी झंडा देखा रवाना केलनि। कर्पूरी स्मारक सं निकलल अहि रथयात्राक उद्देश्य शराबबंदी आ नशा मुक्त अभियानकें जन-जन धरि पहुंचेबाक अछि।

    ई रथ पटोरी, दलसिंगसराय, समस्तीपुर एवं रोसड़ा अनुमंडल सेहो जाएत। मौका पर जदयू नेता डॉ. दुर्गेश राय, प्रो. देवनाथ सिंह, शिक्षक प्रकोष्ठक उदित नारायण राय, तकी अख्तर, दिलीप साह, शंकर साह, अनस रिजवान, राज कुमार साह, कौशल कुशवाहा, प्रो. निर्मला देवी, राजा, विधा यादव, ऋषि कुमार पांडेय, डॉ. अजीत कुमार सिंह, कुमुद कुमार, आशुतोष कुमार, महेश प्रसाद यादव, संजीव कुमार मुन्ना आदि उपस्थित छलाह।

    मोहिउद्दीनगर प्रतिनिधिके अनुसार जन जागृति रथके मदुदाबाद चौक पहुंचला पर भव्य स्वागत कएल गेल। रथ पर बिहार प्रदेश शिक्षक शिक्षकेत्तर कर्मचारी महासंघक प्रदेश संयोजक राजकिशोर राय, अध्यक्ष रामनरेश पांडेय, ऋषि कुमार, अजीत कुमार सवार छलाह। आम लोक नशामुक्ति जागरूकता पर आधारित प्रोजेक्टरके माध्यम सं एकर अवगुणकें देखैत नशा सं तौबा केलक अछि।