दरभंगामे बेटा द्वारा 80 वर्षीय पिताक हत्या, गिरफ्तार

    0
    284

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाके जाले प्रखंडक कमतौल थाना अंतर्गत अहियारी उत्तरी पंचायतमे एकटा बेटा द्वारा अपन पिताक गर्दन काटि कय हत्या करबा तथा भतीजा आ भाबहुकें गंभीर रूप सं जख्मी करबाक सनसनी खेज मामला प्रकाशमे आयल अछि।

    मृतकक पहचान 80 वर्षीय रामदयाल ठाकुर तथा जख्मी भतीजाक पहचान 35 वर्षीय राहुल कुमार आ 55 वर्षीया भाबहु रानी मिश्राक रूपमे भेल अछि। घटनाक कारण जमीनी विवाद बताओल जा रहल अछि। घटनाक सूचना पर थानाध्यक्ष राजकुमार राय घटनास्थल सं हत्यारा संजय कुमारकें गिरफ्तार केलाक बाद जख्मीकें इलाजक लेल दरभंगा पठाओल गेल। घटनास्थल पर इंस्पेक्टर अजय कुमार झा, एसआइ सुनील कुमार सिंह, एएसआइ ललन शर्मा मौजूद छथि।