कुख्यात अपराधी संतोष झा के फेर भेल खुनक उल्टी

    0
    367

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा जेल मे बंद इंजीनियर मर्डर केस के कुख्यात अपराधी संतोष झा के बुधदिन राति अचानक तबियत ख़राब भय गेल। बताओल जा रहल अछि जे, संतोष के अचानक सीना मे दर्दक संग खूनक उल्टी सेहो होबय लागल। संतोष के स्वास्थ्य चेकअप के लेल बृहस्पति दिन दरभंगा अस्पताल आनल गेल।

    अहि सं पूर्व 16 सितंबर क सेहो संतोषक संग एहेन घटना भेल छल। तहनो संतोष के बेहतर इलाजक लेल डीएमसीएच आनल गेल छल जतय चेकअप के बाद फेर सं जेल भेज देल गेल छल। एम्हर डॉक्टर के कहब अछि जे, संतोष के अनुसार बहुत पहिने सं सीना मे गोली फंसला के कारण लगातार तबियत ख़राब होइत रहैत अछि।

    ज्ञात हो कि आरोपी संतोष झा एकटा सड़क निर्माण कंपनी के रंगदारी नहि देलाक कारण दिन दहाड़े दरभंगा मे दू टा इंजिनियर के गोलीमारि कय हत्या कय देने छल। जाहि के कारण संतोष झा के गिरफ्तार कायल गेल छल।