प्राणघातक बनल मधुबनी-पंडौल मुख्य पथ, ट्रकक ठोकर सं फेर एकटा मौत

    0
    464

    मधुबनी, मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झा/रविन्द्र कुमार दास: शनिदिन भोरमे करीब 7 बजेक आसपास माधबनी-पंडौलकें बीच चौड़ी दिस जाए वला रस्ताक बगलमे बजरंगबली मन्दिरक समीप ट्रकक ठोकर लगला सं एकटा व्यक्तिक दर्दनाक मौत भए गेल।

    मृतकक पहिचान पंडौल पछवारी टोलक निवासी हेमंतकेँ रूपमे कएल गेल अछि। सूत्रक अनुसार हेमंतकें आय भोरमे मधुबनी दिस सं आबि रहल तेज़ रफ़्तार ट्रकजोरदार ठोकर मारैत फरार भए गेल। जाहि सं घटनास्थले पर हेमंतक दर्दनाक मौत भए गेल।

    ज्ञात हो कि ट्रकक चपेटमे एला सं मृतक हेमंतकें शरीर फेकचा-फेकचा भए गेल। जाहि सं शरीरक अंग-अंग सड़क पर बिखरि गेल। मांथक खोपड़ी कतहू, पेटक अंतरि कतहू, शरीरक गूद्दा कतहू। स्थिति एहेन भेल अछि जे, पूरा शरीरक तस्वीर देखब सामान्य लोकक लेल सहज नहि अछि।

    ज्ञात हो कि अहि सड़क पर आए दिन एहेन तरहक दुर्घटना आम बात भेल जा रहल अछि। बुधदिन सेहो एकटा तेज़रफ्तार ट्रकक ठोकर सं अड़ेर निवासी जीतन रामकें दर्दनाक मौत भेल छल।