बिहार इंटर टॉपर मामला: औरंगाबाद स पकड़ल गेल हम पार्टीक जिलाध्यक्ष

    0
    278

    औरंगाबाद, मिथिला मिरर: बिहारक बहुचर्चित इंटर टॉपर घोटालाक आंच आब औरंगाबाद तक पहुच गेल। घोटालाक जांच कय रहल टीम औरंगाबाद मे हम पार्टीक नेता अजय कुमार सिंह के घर पर छापामारी केलक। अहि दौरान पुलिस द्वारा कॉपी के 19 टा बंडल जब्त कायल गेल।

    पुलिस अहि मामला मे पार्टी नेता अजय कुमार के सेहो हिरासत मे लय पूछताछ शुरू कय देने अछि।घोटालाक जांच कय रहल टीम अप्पन कार्रवाई औरंगाबाद के वीर कुंवर सिंह कॉलोनी स्थित अजय कुमारक आवास पर केलक। पुलिसक मुताबिक जब्त कॉपी इंटर साइंस आ आर्टस के अछि।