रेलवे टिकट काउंटर बनल ‘मनी एक्सचेंज सेंटर’

    0
    348

    पटना, मिथिला मिरर: सरकारक फैसला सं लोकक दिनचर्या आ रोजमर्रा’क जिंदगी प्रभावित भेल त पुरान नोट के बदलबाक लेल नव तरकीब खोजि लेलनि। रेलवे के अहि बंदी सं मुक्त रखबाक फैसला के बाद टिकट काउंटर पर यात्री के वेश मे मनी एक्सचेंज कराबय वलाक भीड़ उमड़ि पड़ल।

    राजधानी पटना समेत राज्य के अलग-अलग इलाका मे लोक सीधा स्टेशन के टिकट काउंटरक रूख के रहल अछि। 10 रुपैया के प्लेटफार्म टिकट के बहाने 500 आ 1000 रुपैयाक खुल्लाक लेल लोक सीधा स्टेशन पहुंच रहल अछि। जाहि कारने रेलवे काउंटर पर खुल्ला रुपैयाक कमी होबय लागल अछि।

    डीसीएम के अनुसार 500 आ 1000 के नोट बंद हेबा सं कोनो तरहक पेनिक हेबाक जरूरत नहि अछि। ओ कहलनि जे, रेलवे लग खुल्ला रुपैया के कमी भय गेल अछि। मुदा 10 रुपैयाक प्लेटफॉर्म टिकट के लेल 500 आ 1000 रुपैयाक नोट पर अगिला आदेश तक रोक लगा देल गेल।