सांसद हुकुमदेव नारायण यादव’क पत्नी के देहांत

    0
    364
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: मधुबनी के सांसद हुकुमदेव नारायण यादव’क पत्नी आ केवंटी के पूर्व विधायक अशोक यादव के माता आशा देवीक बुधदिन हुंकार पैतृक गाम दरभंगा सदर प्रखंड अंतर्गत बिजली गाम मे पूर्ण विधि विधानक संग अंतिम संस्कार कायल गेल।
    मंगलदिन दुपहर करीब डेढ़ बजे 75 वर्षीय आशा देवीक निधन भय गेल छल। दरभंगा-मधुबनी के दर्जनो नेता के अलावा प्रदेश तथा राष्ट्रीय स्तर के नेता सभास्थल पहुँच कय हुकुमदेव यादव के शोकाकुल परिवारक प्रति संवेदना व्यक्त केलनि।