मोटरसाइकिल रोकि कय ठेकेदार के मारलक तीन टा गोली

    0
    264

    बक्सर, मिथिला मिरर: बिहार मे बढ़ैत अपराधक एकटा नव मामला प्रकाश मे आयल अछि। बक्सर मे अपराधी एतेक खूंखार भय गेल अछि जे, आप कतहु ककरो मारि दैत अछि। सूत्रक अनुसार अपराधी एकटा ठेकेदार के मोटरसाइकिल रोकि कय गोली मारि कय हत्या कय देलक। घटना बक्सर शहरक बस स्टैंड के समीपहि के अछि।

    चुंगी वसूली करय बला ठेकेदार हरेन्द्र सिंह के सोमदिन राति मे निशाना बनाओल गेल। गोली लगलाक बाद जख्मी भेल ठेकेदार के गंभीर हालत मे इलाजक लेल निजी अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल जतय हुनकर मौत भय गेल।

    मृतक शहर के सोहनीपट्टी इलाका के रहय रहने बला छल। ओ देर राति बस स्टैंड स मोटरसाइकिल स अप्पन घर जा रहल छलाह। अहि क्रम मे पहिने सं घात लगा कय बैसल अपराधी ताबड़तोड़ फायरिंग केनाइ शुरू के देलक। घटना के बाद स शहर मे गैंगवारक आशंका जताओल जा रहल अछि। पुलिसक पैघ अधिकारी मौका पर पहुंच कय मामलाक जांच कय रहल अछि।