मधुबनीमे शिवलिंगक लेल भेल विवाद, एक व्यक्तिक मृत्यु आ जराओल गेल पुलिसक गाड़ी

0
532

मधुबनी,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः मधुबनी जिलाक बाबूबहरी थाना क्षेत्रक खोजपुर गांवमे बुधदिन राइत करीब एक बेजे ओहि समय तनावक स्थिति उत्पन्न भए गेल जखन करीब तीन मास पूर्व खुदाईमे एकटा प्रचीन शिवलिंग उखरल छलाह। अहि शिवलिंगकेँ अपना कब्जामे लेवाक लेल बुधदिन राइतमे भारी संख्यामे मधुबनी पुलिस खोजपुर गामक ओहि मंदिर पहुंचल गेल जाहिठाम रामनवमीकेँ दिन उखरल शिवलिंगकेँ स्थापति कैल गेल छन्हि।
पुलिस प्रशासनकेँ भारी संख्यामे जुटानीक खबैर जखने ग्रामीणकेँ भेटलैक तऽ भारी संख्यामे ग्रामीण रातियेमे मंदिर पर उपस्थित भऽ गेलाह। आ ओहिकेँ बाद पुलिस प्रशासन आ ग्रामिणक बीच झड़प शुरू भऽ गेल। ग्रामीणक कहब छन्हिजे पुलिस अंधाधुंध लाठी चार्ज करैत करीब दर्ज राउंड हवाई फायरिंग सेहो केलक। ग्रामीणक मानी तऽ ओहि अफ़रा-तफ़रीमे सदर एसडीओ अभिलाषा कुमारीक गाड़ीसँ घसिटाकऽ स्थानीय दूकानदार मांगन साहुक मृत्यु भऽ गेलनि जखन कि चाइर अन्य व्यक्ति गंभीर रूपसँ घायल भेल छथि। पुलिस द्वारा मंगाओल गेल जेसीबी मशीनकेँ प्रयोगसँ हनुमान मंदिर देवार सेहो ढहि गेल।

मांगन साहुक मृत्यु आ चाइर गोट ग्रामीणक घायल भेलाक बाद स्थानीय ग्रामीण सेहो उग्र रूपमे आबि गेलाह आ ओकहर बाद पुलिसक गाड़ी आ जेसीबी मशीन आ दू गोट मोटर सइकिलकेँ आगि लगा देल गेल। ग्रामीणक एक जुटता आ आक्रोशकेँ देखैत पुलिस अपना दल-बलक संग घटना स्थलसँ भगैत भेल। ग्रामीणक आरोप अछि कि पुलिस अपना संग उक्त शिवलिंगकेँ लऽ कऽ चलि जाइत रहल जखन कि पुलिस दावा छैक जे ओ ग्रामीणक आक्रोश देखि ओहिठामसँ वापस हेवा पर मजबूर भेल छल। बृहस्पतिदिन ग्रामीण लोकनि मांगन साहुकेँ लाहसकेँ लए खुटौना-बाबूबरही-मधुबनी पथकेँ खोजपुर गाममे जाम कऽ देने अछि। हालांकि एखन तक ओहिठाम प्रशासन उपस्थिति नहि अछि।

आखिर की छैक विवादक कारण?
पैछला रामनवमीकेँ दिन खोजपुर कोसी नहरकेँ नजदीक माटि कोराइकेँ क्रममे एकटा प्राचीन शिविलंग भेटल छलथि। जेकरा खोजपुर निवासी गामक पश्चिममे बनल सोमनाथ मंदिर परिसरमे स्थापित कऽ देलनि। जेकरा बाद बेला गामक नवका टोल निवासी लोकनि उखड़ल शिवलिंगकेँ अपना गामक सीमामे हेवाक बात कहैत शिवलिंग अपन अपना गामक दावा ठोकि देलनि। अहिकेँ लए नवका टोलक निवासी बहुत बेर धरना-प्रदर्शन आ सड़क जाम तक केने छल। जेकरा बाद कतेको बेर शांति बनेवाक लेल बैसार सेहो भेलैक मुदा ओहि विफल रहल। पुलिस अहि क्रममे दुनू गामक कतेको लोकक खिलाफ धारा 107 आ 108 निषेधाज्ञा सेहो लगाकऽ रखने छल।
सदर एडीओक दावा?
सदर एसडीओक दावा अछि जे दुनू ग्रामीणक आप सहमति आ शिवलिंगक विवादकेँ समाप्त करवाक लेल ओहि शिवलिंगकेँ एसडीओकेँ सुपूर्द करवाक बात पर सहमति बनल छल आ ओहिक्रममे पुलिस बुधदिन राइत खोजपुर गाम पहुंचल छल लेकिन ग्रामीणक उग्र रूपक कारण ओहिठामसँ प्रशासनकेँ भागए पड़ल।