व्यवस्थाक खिलाफ एनएच 104 पर ग्रामीणक विरोध प्रदर्शन

    0
    380

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: डीलर के मनमानी, स्कूल अव्यवस्थित आ बिजली’क नियमित आपूर्ति नहि हेबाक कारने मधुबनी मे लौकही के धबही गामक लोक रविदिन एनएच 104 के जाम कय विरोध प्रदर्शन केलनि।

    आन्दोलन मे शामिल ग्रामीण प्रशासन के विरूध जमिकय नारेबाजी केलनि। ग्रामीण राजधर यादव, कृष्ण कुमार, रामाकांत रमण, राजकुमार यादव, राम अवतार यादव, देवनारायण यादव, शशि कुमार आदि आक्रोश जताबैत कहलनि जे, हमरा सब के जनवितरण प्रणाली के दोकान स कहियो समय पर राशन आ किरासन नहि भेटैत अछि।

    ग्रामीण के एखन धरि राशन कार्ड मुहैया नहि कराओल गेल अछि। ग्रामीण आरोप लगौलनि जे, विकास मित्र एवं डीलर राशन कार्ड सर्वे के नाम पर अवैध राशिक उगाही करैत छथि। स्कूल मे मिड डे मिल नहि चलैत अछि। कन्या प्राइमरी स्कूल में एकटा शिक्षक अवैध रूप स प्रतिनियुक्त अछि, जहन कि हुनकर स्थानांतरण कय देल गेल अछि।