पीवी सिंधु केलीह चाइना ओपन पर कब्ज़ा

    0
    298

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: ओलम्पिक के बाद भारतीय स्टार पीवी सिंधु के जाहि जीतक तलाश छल ओ चीन मे जा कय भेटल। ठीक सुनलहुँ सिंधु चाइना ओपन के खिताब जीत लेलनि अछि। फाइनल मुकाबले मे सिंधु चीनक मजबूत प्रतिद्वंदी सुन यू के सीधा गेम मे शिकस्त देलनि।

    रियो ओलंपिक के बाद स सिंधुक फॉर्म संग नहि दय रहल छल। जाहि कारने सिंधु के किछु टूर्नामेंट मे हारक सामना करय पड़ल छल। रियो ओलंपिक मे सिल्वर मेडल जीतय वाली पीवी सिंधु आ सुन यू के बीच कड़ा मुकाबला चलल। पीवी सिंधु पहिल गेम 21-11 स जिटलानी, त दोसर गेम मे चीनी खिलाड़ी शानदार खेल देखबैत 21-17 जित दर्ज केलनि।

    दुनूक बीच आखिरी गेम मे जबरदस्त टक्कर देखबाक लेल भेटल। सिंधु दबाव मे बेहद शानदार खेल देखौलनि आ निर्णायक गेम 21-11 सं जीतकय ख़िताब पर कब्जा केलनि। ई लगातार तेसर साल छल जहन अहि टूर्नामेंट के फाइनल मे कोनो भारतीय महिला खिलाड़ी पहुंचल छल। साल 2014 मे साइना नेहवाल ई खिताब जीतने छली मुदा 2015 मे ओ ली जुरुक्‍सई के हाथे हारि गेल छली।