प्रधानमंत्री’क अहम फैसला, आई आधा राति सं हजार आ 500 के नोट बंद

    0
    355

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: यदि अहाँ लग 500 आ 1000 रुपैयाक नोट अछि त ओकरा 10 नवंबर सं 30 दिसंबर तक बैंक आ डाकघर मे जमा करा आउ, नहि त ओ रकम अवैध भय जायत। जी हाँ हम सत्ते कहै छी। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी देश के संबोधित करैत कालाधन पर लगाम लगेबाक लेल आय आधा राति सं 500 आ हजारक नोट के बंद करबाक फैसला लेलनि अछि। संगहि 2000 रुपैया के नबका नोट आ 500 के नब डिजाइनक नोट बाजार मे अनबाक ऐलान केलनि अछि।

    प्रधानमंत्री कहलनि जे, 9 आ 10 नवंबर क ATM काज नहि करत। 11 नवंबर क राति सं किछु विशेष व्यवस्था कायल गेल अछि। ओ कहलनि जे सरकारी अस्पताल 11 नवंबर धरि पुराण नोट लेल जायत। तहिना 72 घंटा धरि रेलवे के टिकट बुकिंग काउंटर, सरकारी बसक टिकट बुकिंग काउंटर आ हवाई अड्डा पर टिकट खरीदबाक लेल ई नोट मान्य रहत।

    प्रधानमंत्री कहलनि जे, सरकार रिजर्व बैंकक 2000 रुपैया के नोटक सर्कुलेशन के प्रस्ताव स्वीकार केलक अछि। ई एकटा ऐतिहासिक फैसला अछि आ जनता के हित मे। ओ कहलनि जे, अहाँ लग जतेक टाका छल ओ रहबे करत। ककरो चिंता करबाक कोनो जरूरत नहि।