59 लाख रुपैयाक संग पकड़ल गेल शराब’क कारोबारी

    0
    282

    पटना, मिथिला मिरर: राजधानी पटना सं अवैध शराब के धंधा मे शामिल कारोबारी मोहित जैन के विशेष पुलिसक टीम 58 लाख 60 हजार रुपैयाक संग गिरफ्तार केलक अछि। मुजफ्फरपुर के एसएसपी विवेक कुमार के अनुसार पटना के एक्जीबिशन रोड इलाका सं सोमदिन राति पुलिस मोहित जैन के गिरफ्तार केलक अछि। मोहित के घर सं बैग मे भरल रुपैया बरामद कायल गेल अछि। रविदिन राति मुजफ्फरपुर के सरैय्या थाना क्षेत्र सं करोडो रुपैयाक मूल्य के शराब सं भरल कंटेनर बरामदगी मामला मे ई गिरफ्तारी भेल अछि।

    पुलिस अहि मामला मे एखन धरि 14 गोटे के खिलाफ नामजद प्राथमिकी दर्ज कय चुकल अछि। एसएसपी के अनुसार शराबक धंधा मे शामिल लोकक कनेक्शन राज्य के बाहर सं अछि।

    पुलिस पूरा मामला मे मोहित जैन सं पूछताछ कय रहल अछि, ताकि रैकेट मे शामिल लोकक खिलाफ कार्रवाई कायल जा सकय। जब्त शराबक खेप हरियाणा सं मंगाओल गेल छल, जाहि मे मोहित जैन के अहम भूमिका छल। एसएसपी शराब के कारोबार सं कमाओल गेल गलत संपत्ति के जब्त करबाक प्रक्रिया चलेबाक निर्देश देलनि अछि।