नीतीश’क ‘निश्चय यात्रा’ के बहाने जेडीयू सधलक प्रधानमंत्री पर निशाना

    0
    335

    पटना, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 9 नवंबर सं अप्पन ‘निश्चय यात्रा’ पर निकैल रहल छथि। अहि दौरान ओ 10 नवम्बर क पूर्वी चंपारण के अरेराज पहुँचताह। नीतीशक निश्चय यात्रा सं पहिने एक बेर फेर सं राजधानी मे पोस्टर वार शुरू भय गेल अछि। जेडीयू यात्रा के सही बताबैत प्रधानमंत्री के विदेश यात्रा पर चुटकी लेलक अछि। पटना के चौक-चौराहां पर लागय वला पोस्टर आ फ्लैक्स पर ई वार देखल जा सकैत अछि।

    जदयू नेता राजधानी पटना मे खूब पोस्टर लगेलक अछि। पोस्टर के माध्यम सं जदयू मोदी के विदेश दौरा आ नीतीश के गाम दौरा के दर्शेलक अछि। मुख्यमंत्री के यात्रा पर जदयू प्रवक्ता संजय सिंह कहलनि जे, प्रधानमंत्री विदेश दौरा पर रहैत छथि आ मुख्यमंत्री गाम दौरा पर। निश्चय यात्रा के जरिये नीतीश गाम-गाम जा कय लोकक दर्द सुनताह।