सीतामढ़ीमे दरोगा पर अवैध वसूली’क आरोपमे मुकदमा दर्ज

    0
    261

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: मुख्य न्यायिक दंडाधिकारीकें न्यायालयमे अवैध वसूलीक आरोप लगबैत मंगलदिन नगर थानाके पुअनि सुमन कुमार मिश्रा पर मुकदमा दर्ज कराओल गेल। अहि मुकदमा शिवहर जिलाकें तरियानी रुपौली निवासी नूर आलम आरोप लगेलक अछि जे, ओ 27 फरवरी कय घरेलू सामान खरीदबाक लेल सीतामढ़ी बाजार गेल छल। दुपहर करीब 3 बजे महंत साह चौक पर आरोपी दरोगा रोकि लेलक। नूर आलम सं मोटरसाइकिलक डिक्की खोलि कय देखेबाक लेल कहलक, जहिकेँ बाद दरोगा गाड़ीक ऑनर बुक लय ललक।

    ऑनर बुककें बदले नूर सं पांच हजार रुपैयाक मांग कएल गेल। मन केलाक बाद दरोगा नूरकें संग सं दू हजार रुपैया आ ऑनर बुक लय कए चली गेल आ कहलक जे, 3 हजार और रुपैया चाही तहन ऑनर बुक वापस भेटत।

    मुकदमामे नूर मोहम्मद इहो आरोप लगेलक अछि जे, दरोगा गारि पढ़ैत कहलक जे, यदि भोर धरि तीन हजार रुपैया नहि देल जेल त शराब वाला केस बनाकय जेल पठा देल जाएत। न्यायालय सं सेहो जमानत नहि भेटबाक धमकी सेहो देलक। मुख्य न्यायिक दंडाधिकारी रामबिहारी मामलाक गंभीरताकें देखइत सुनवाईकें लेल अगिला तिथि निर्धारित केलक अछि।