इंटर उत्तर पुस्तिका मूल्यांकन’क वहिष्कार 14’म दिन जारी

    0
    278

    मधुबनी, मिथिला मिरर: वित्तरहित शिक्षा संयुक्त संघर्ष मोर्चा’क जिला इकाईकें तत्वावधानमे पांच सूत्री मांगकें लए जिलाध्यक्ष श्यामनंद तिवारीके नेतृत्वमे बुधदिन इंटर उत्तर पुस्तिका मूल्यांकन काजक बहिष्कारक 14’म दिन सेहो वाट्सन स्कूल़, आरके कालेजमे डा. शंभू झा एंव जेएन कालेजमे मदन लाल कर्णकें नेतृत्वमे जारी रहल। अहि अवसर पर शिक्षक नेता कहलनि जे, बिहार सरकार वित्तरहित शिक्षकक संग सौतेला व्यवहार कए रहल अछि।

    ओ कहलनि जे, बीतल सोमदिन सं शुरू प्रायोगिक परीक्षाक आज बुधदिन सेहो राज्य संघक आह्वान पर मांगक पूर्ति हेबा तक बहिष्कार कएल गेल। शिक्षक नेता सरकार सं वित्तरहितकें समाप्त कय वित्तसहित करबाक संग शिक्षककें सेवा सामंजन कय नियमित वेतनमान देबाक मांग कएल गेल।

    बहिष्कारमे प्रांतीय उपाध्यक्ष डॉ.शत्रुघ्न प्रसाद यादव, अध्यक्ष प्रो.श्यामानंद तिवारी, सचिव प्रो.लक्ष्मी नारायण राय, कोषाध्यक्ष प्रो.अशोक कुमार, संयुक्त सचिव वागिस कांत झा, प्रो.अनिला कुमारी, प्रो.बबिता कुमारी, प्रो.संगीता कुमारी, प्रो.बेचन राय, मो.औसाफ लड्डन, प्रो.मनोज कुमार शर्मा, डा.राम विलास कामत, प्रो.राघवेन्द्र कुमार, प्रो.बिरेन्द्र कुमार, प्रो.उमेश प्रसाद, राम प्रसाद सिंह सहित बहुत रास अन्य शिक्षक सब भाग लेलनि।