‘नेट-जेआरएफ’ परीक्षामे 77’म स्थान लाबि कए मिथिलांचलक मान बढ़ौलनि श्वेता

    0
    564

    मधुबनी, मिथिला मिरर: जयनगर निवासी श्याम सुन्दर प्रसादक बेटी श्वेता प्रसाद नेटकें (जेआरएफ) परीक्षामे भारतीय स्तर पर 77’म स्थान प्राप्त कए समुच्चा मिथिलांचलक मान बढ़ेलनि अछि। राष्ट्र स्तर पर आयोजित नेट परीक्षामे लगभग डेढ लाख अभ्यर्थी भाग लेने छल। जाहिमे कुल 1723 अभ्यर्थी सफल भेल अछि। श्वेता प्रसाद 77’म स्थान प्राप्त केलनि।

    श्वेता प्रसाद अहि सफलताक बाद बॉयोटेक्नोलॉजी विभागमे वैज्ञानिक शोध करतीन। ओ कैंसर सेल पर शोध करबाक इच्छा रखैत छथि। आगामी तीन वर्षमे ओ डॉक्टरेटक उपाधि हाशिल कए लेतीह। श्वेता अपन सफलता’क श्रेय अपन परिवार आ शिक्षककें दए रहल छथि। ओ फिलहाल पुणेमे अपन पति’क संग रहैत छथि, जे एकटा सॉफ्टवेयर इंजीनियर छथि। श्वेताक पिता श्याम सुन्दर प्रसाद कहलनि जे, हमार बेटी ‘बेटी बचाओ बेटी पढ़ाओ’कें सपनाकें साकार केलक अछि।