बीपीएल परिवार’क बीच गैस चूल्हा बाँटल गेल

    0
    275

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ‘जय माता रानी एचपी गैसक’ लालगंज पंचायत अन्तर्गत गठुली गाम स्थित सहायक केंद्र पर बृहस्पति दिन जिला परिषद सदस्या नीलम देवी गरीबी रेखा सं नीचाँ गुजर बसर करय वला 15 गोट परिवारकें प्रधानमंत्री उज्ज्वला योजनाकें तहत नि:शुल्क गैस कनेक्शन वितरण केलनि।

    अहि अवसर पर ओ उक्त योजनाक उद्देश्य आ महत्व पर विस्तार सं चर्चा करैत कहलनि जे, प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी’क अगुवाईमे देशक चौमुखी विकास भए रहल अछि। मौका पर पैक्स अध्यक्ष धर्मेन्द्र कुमार चौरसिया, दिलीप कुमार यादव समेत बहुतो जनप्रतिनिधि आ आम लोक मौजूद छल।