गोपालगंज नगर थानाक सब अधिकारी निलंबित

    0
    310

    गोपालगंज, मिथिला मिरर: बिहार के गोपालगंज जिला मे 18 लोकक मौत के बाद पुलिस अधीक्षक रवि रंजन कुमार एक्शन लैत नगर थानाक सब पुलिस पदाधिकारी आ कर्मचारी के निलंबित कय देलनि। बृहस्पतिदिन साँझ मे कार्रवाई के बाद सब अधिकारी के पुलिस लाइन मे योगदान करबाक निर्देश देल गेल।

    निलंबित अधिकारी मे नगर थानाक इंस्पेक्टर बीपी आलोक, सब इंस्पेक्टर अमित कुमार समेत 15 पुलिस अफसर शामिल छथि। एकरा अलावा 10 हेड कांस्टेबल के सेहो सस्पेंड कायल गेल। कुल मिलाकय 25 पुलिसकर्मी के नईलंबित कायल गेल।

    मीडिया रिपोर्टक अनुसार डीएम राहुल कुमार पोस्टमार्टम करय बला डॉक्टर के सेहो निलंबित कय देलनि। एमहर उत्पाद विभागक प्रधान सचिव के. के. पाठक गोपालगंजक उत्पाद इंस्पेक्टर के कारण बताओ नोटिस जारी केलनि। जाहि मे पुच्छल गेल अछि जे, आखिर कोन परिस्थिति मे एहन तरहक घटना भेल आ अहि मे ककर लापरवाही अछि।

    छापेमारीक बाद एतेक मात्रा मे अल्कोहल बला दबाई कोना संग्रह कायल गेल ? अहि मामला मे ई पहिल आ एतेक पैघ कार्रवाई अछि। डीएम राहुल कुमार कहलानी जे, सब दोषी अधिकारी के खिलाफ कार्रवाई कायल जायत।