बिहारक आठ टा शिक्षक राष्ट्रीय पुरस्कार सं हेताह सम्मानित

    0
    290

    दिल्ली, मिथिला मिरर: बिहार के आठ टा शिक्षक राष्ट्रीय पुरस्कार से सम्मानित कायल जेताह। केंद्रीय मानव संसाधन मंत्रालय राष्ट्रीय पुरस्कारक लेल राज्य सरकरा द्दवारा भेजल गेल नाम के मंजूरी दय देलक अछि।

    प्राथमिक विद्यालय के पांच आ माध्यमिक विद्यालय के तीन टा शिक्षक के सम्मानित कायल जायत।शिक्षक के तीन सितम्बर क दिल्ली मे रिपोर्ट करबाक लेल कहल गेल अछि। शिक्षक दिवस के मौका पर राष्ट्रपति हिनका सम्मानित करताह।

    सम्मानक लेल चुनल गेल आठ टा नाम मे प्राण मोहन झा पूर्णिया, राजकिशोर राउत सीतामढ़ी, विनय दुबे सारण, सारंगधर सिंह सारण, कृष्ण उपाध्याय पूर्वी चंपारण, डॉ मीना कुमारी पटना, डॉ जगदीश प्रसाद गुप्ता दरभंगा आ डॉ जवाहर लाल देव कटिहार शामिल छथि।