सुपौलक छातापुर प्रखण्ड मे स्वतंत्रता दिवस केर लय क भेल विशेष बैसक

    0
    270
    सुपौल, मिथिला मिरर- सोनू कुमार भगत\रवि: शनिदिन छातापुर प्रखण्ड कार्यालय परिसर स्थित ललित नारायण मिश्र सभा भवन मे  69वां स्वतंत्रता दिवसक तैयारी के लय एकटा बिशेष बैसक बजाओल गेल।प्रखण्ड प्रमुख रूबी कुमारीक अध्यक्षता मे आयोजित बैसक मे प्रखण्ड क्षेत्र के जनप्रतिनिधि, विशिष्ठ नागरिक, शिक्षक तथा स्थानीय पदाधिकारी भाग लेलनि।

    बैसक मे स्वतंत्रता-दिवस के धूम-धाम तथा पूर्ण निष्ठा, शान्ति, सदभावक संग कोना मनाओल जाय ताहि पर विचार विमर्श कायल गेल। स्वतंत्रता दिवस केर अवसर पर सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन करबा पर सेहो विचार कायल गेल।

    अहि मौका पर बीडीओ परवेज आलम, सीओ लाला प्रमोद कुमार श्रीवास्तव, उपप्रमुख कृष्ण मुरारी, बीएओ नागेन्द्र पूर्वे, सुरेंद्र नारायण सरदार, सुशिल प्रसाद कर्ण, सदानंद चौधरी, सुकदेव प्रसाद भगत, विवेक रंजन, सोनू कुमार भगत, उमेश उजाला, उषा देवी, पियूष कुमार पिंकू, हरेंद्र कर्ण, मो करीमुद्दीन आदि गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह।