कैदी के जूस के बदला शराब पियाबय वला होम गार्ड गिरफ्तार

    0
    349

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: खुदी राम बोस मुजफ्फरपुर सेंट्रल जेल के कैदी वाहनक ड्राईवर दारू सप्लाई के आरोप मे गिरफ्तार कायल गेल। गिरफ्तार सुरेश ठाकुर होम गॉर्डक जवान अछि। जानकारी के अनुसार कैदी के पेशी के बाद न्यायालय परिसर सं जूसक डिब्बा मे दारू राखिकय जेलक अंदर लय जेबाक योजना छल।

    सूत्रक अनुसार ड्राइवर के अहि योजनाक जानकारी कियो जेलर धरि पहुंचा देलक। अहि के बाद जेलर एकटा योजना के अन्तर्गत सूचना के आधार पर कारवाई करैत न्यायालय सं वापस आयल कैदी के गेट पर तलाशी अभियान शुरू कय देलनि, जाहि मे मामला के खुलासा भेल। ड्राइवर सं पूछताछ के बाद मिठनपुरा पुलिस के हवाला कय देल गेल।