महागठबंधन मे सीटक बँटवारा मे फसल पेँच, कांग्रेस तय कएलक संभावित 200 उम्मीदवारक नाम

0
552

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे होमय वला आगामी विधानसभा चुनाव केँ ल’ राजनीतिक चहलकदमी शुरू भ’ चुकल अछि। सभ राजनीतिक दल अपना-अपना हिसाबे तैयारी मे जुटल अछि। बिहार में दूटा प्रमुख गठबंधन अछि। एनडीए आ महागठबंधन दुनू केँ घटक दल मे सीट बँटवारा केँ ल’ मामला फसल अछि। हालाँकि एनडीए दाबा करैत अछि जे हुनका गठबंधन मे कोनो तरहक विवाद नहि अछि आ उचित समय पर सीटक बँटवारा केँ ल’ फैसला सेहो भ’ जायत।

दोसर दिस महागठबंधन में सीट बँटवारा केँ ल’ पेंच फसल अछि। महागठबंधन केँ चारु घटक दल अपना हिसाब सँ तैयारी क’ रहल अछि। भला 70 साल धरि सत्तासीन पार्टी कोना चुकत। ओहो अपना हिसाब सँ तैयारी मे लागल अछि। कांग्रेस मानि क’ चलि रहल अछि जँ गठबंधन मे सम्मानजनक सीट नै भेटत त’ अकेले चुनावी मैदान मे उतरल जायत। लिहाजा पार्टी अपना स्तर सँ करीब दू सौ विधानसभा सीट पर उम्मीदवारक लिस्ट तैयार क’ लेलक अछि। कांग्रेसी सूत्र केँ मानि त’ हर स्थिति सँ निपटबाक लेल पार्टी योजना बना क’ काज क’ रहल अछि। एहन कहल जा रहल अछि जे संभावित उम्मीदवारक सूची मे हर जिला सँ पाँच-पाँच टा नाम आबि चुकल अछि।  आ महागठबंधन मे हिस्सेदारी तय भेलाक बाद अंतिम सूची जारी कएल जायत।

संभावित उम्मीदवारक चयन जिला-प्रखंड आ पंचायत कांग्रेस टीम केँ सुझाव पर कएल गेल अछि। अखनि प्रदेश कार्यसमिति सूची पर मंथन क’ रहल अछि। एही सूची मे कतेको पूर्व विधायक, जिलाध्यक्ष सँ ल’ पार्टीक पुरान कार्यकर्ता तक छथि। गलती सँ सिख लैत पार्टी एहिबेर जमीनी कार्यकर्त्ता केँ बेसी तवज्जो देत। हवाहवाई नेता सभ कखनो पार्टी बदलि लैत छथि ताहि कारण सावधानी बरती रहल अछि। बतादी जे तीन दिन पहिने सेहो दूटा विधायक पाला बदलि जदयू मे शामिल भ’ गेलाह। आब देखबा चाही कि कांग्रेस महागठबंधन संग चुनावी मैदान मे जायत वा असगरे।