आदतसँ लाचार मैथिल, पान-गुटका खा मधुबनी रेलवे स्टेशनकेँ गंदा करबाक खेल जारी

0
436

मधुबनी, मिथिला मिरर-सुजित कुमार झाः हालहि रेलवे द्वारा जारी देशक सभसँ सुंदर दोसर रेलवे स्टेशनक खिताब पाबि सम्मानित होएवला मधुबनी रेलवे स्टेशन एक बेर फेरसँ ओहने स्थितिमे जा रहल अछि जेहनमे ओकर गणना किछु दिन पूर्व होइत छलैक। देशक गंदगी भरल स्टेशनकेँ स्वच्छ बनेबाक जे स्वप्न ओहिठामक मिथिला पेंटिंगक कलाकर लोकनि देखने छलाह तकरा ओहिठामक मैथिल समजा बेड़ागर्क क’ रहला अछि।
किछु दिन पूर्व मधुबनीसँ खबरि आएल छल जे पान-गुटका खा’ आ ओकरा थूकसँ स्टेशन परिसर आ देबार सभ पर बनल कलाकृतिकेँ स्थानीय समाज गंदा क’ रहल छथि। जेकरा बाद एहि खबरिकेँ पाबि समाजिक संगठन एमएसयूक कार्यकर्ता लोकनि एकरा सफा करबाक अभियान चलौने छलाह मुदा आब फेरसँ स्थिति जसकेँ तस बनल जा रहल अछि। मिथिला मिरर टीम द्वारा 5 अगस्त क’ कएल गेल स्टेशन दौरा पर भेटल जे ओहिठामक भुच्चर समाज एक बेर फेरसँ अपना धरोहरकेँ कलंकित करबा काज क’ रहल छथि।
मिथिला मिरर संवाददाता सुजित कुमार झा देखलनि जे मधुबनी रेलवे स्टेशनक टिकट घरक सीढ़ी लग पान-गुटकाक थूकसँ विश्वस्तरीय कलाकृतिकेँ कलंकित करबाक आ ओकरा गंदा करबाक खेल जारी रखने छथि। एहनमे रेलवेकेँ कतेक दोष, जखन ओहिठामक जनता स्वयं एहि दिस डेग नहि बढ़ौतथि तँ कियो सुंदर मधुबनीकेँ स्वच्छ नहि बना सकत। कमसँ ओहिठामक समाजकेँ सोचबाक आ चेतबाक जरूरत छनि।