आर्यभट्ट इंस्टिट्यूटक संचालक के बेटी’क अपहरण

    0
    306

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे अपहरण, लूट, डकैती आ हत्याक वारदात मे लगातार बढ़ोतरी भय रहल अछि। ताजा मामला भागलपुरक अछि, जतय एम बी बी एस के छात्राक अपहरण के मामला प्रकाश मे आयल अछि। सूत्रक अनुसार आर्यभट्ट इंस्टिट्यूट के संचालक के बेटी शाश्वती के अपहरण भय गेल अछि।

    कर्णाटक के बेलगाम सं मेडिकल के पढाई कय रहल छात्रा छैठ मे अप्पन दादा लग आयल छली। सूत्रक अनुसार शुक्रदिन साँझ मे बाजार गेल छली जतय हुंकार अपहरण कायल गेल। देर धरि घर वापस नहि एलाक बाद जहन शाश्वतीक तलाश कायल गेल त कतहु पता नहि चलल। शाश्वती के मोबाइल फोन सेहो बंद अछि।

    घटना भागलपुर के तिलकामांझी थाना क्षेत्रक अछि। परिजन कोनो तरहक आपसी रंजिश आ दुश्मनी सं इनकार केलक अछि। ओतहि पुलिस अपहरण के प्राथमिकी दर्ज कय खोज-बिन शुरू कय देने अछि।