मिथिला महोत्सव’क मंच पर नहि बाजय देबाक कारण संजय सरावगी केलनि हंगामा

    0
    258

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा मिथिला महोत्सव मे प्रभारी मंत्री महेश्वर हज़ारी के उदघाटन भाषणक बाद मंच पर नहि बाजय देबा सं तमसायल भाजपा के नगर विधायक संजय सरावगी हंगामा करैत कार्यक्रम के बहिष्कार केलनि आ वापस चली गेलाह। हुनका संग मिथिला महोत्सवक मर्यादा के जगह दलगत मर्यादाक ख्याल रखैत भाजपाक विधान पार्षद अर्जुन साहनी सेहो निकलि गेलाह।

    जिलाधिकारी दूनू के मनेबाक भरसक प्रयास केलनि। ज्ञात हो कि अहि कार्यक्रम मे तीन गोट सांसद एवं तीन गोट मंत्री एवं विधायकक संग-संग लगभग सत्रह टा अतिथि मौजूद छलाह। सूत्रक अनुसार प्रभारी मंत्री द्वारा उद्घाटन के केवल मंत्री उद्घाटन भाषण देलनि। कार्यक्रमक पूर्व निर्धारित समय के अनुसार अन्य किनको बजबाक मौक़ा नहि देल गेल।

    किछु लोक द्वारा अहि बात के नगर विधायकक पब्लिसिटी स्टंट सेहो कहल जा रहल अछि। उपस्थित सूत्रक अनुसार एकरा अपमान कहब तहन ठीक रहैत जहन दोसर विधायक के बजबाक मौका भेटैत आ हिनका नहि।