मधुबनी मे 150 बोतल शराबक संग तीन गोटे गिरफ्तार

    0
    277

    मधुबनी, मिथिला मिरर: रात्रि मे गश्तीक दौरान गुप्त सुचनाक आधार पर साहरघाट थाना अप्पन दल-बलक संग लोम चौक पर छापेमारी कय 150 बोतल नेपाली शराब, दू टा मोटरसाइकिलक संग बसबरिया गाम निवासी मनोज शर्मा, मुखियापट्टी निवासी दीपक पंजियार आ विपत पासवान के गिरफ्तार केलक अछि।

    साहरघाट थानाक एसएचओ प्रेमलाल पासवान के अनुसार मोटरसाइकिल पर बोरा मे राखिकय मुख्य सड़क सं बेनीपट्टी दिस कारोबारी शराब लय जा रहल छल।