घरमे घुसल सड़कक पानि, अनेको बीमारी हेबाक संभावना

    0
    368

    बासोपट्टी/हरलाखी, मिथिला मिरर : प्रखंड मुख्यालयक उमगांव धोबियानी टोल लग जलजमाव भेलाक कारण लोक सभ घंटों तक मुख्य सड़ककेँ  जाम क’ देलाह। सड़क जाम भेलासँ सड़कक दुनू दिस गाड़ी सभक लम्बा लाइन लागि  गेल। कतेको गाड़ी आ बच्चासँ भरल स्कूल वैन सेहो जाममे फँसि गेल। लोक सभ कहैत छथि जे अम्बेडकर चौकसँ बाजार चौक धरि मुख्य सड़क जर्जर भेलाक कारण गड्ढामे जलजमावक समस्या बनल अछि। सड़क पर जमा पानि आब लोक सभक घरमे घुसल जा रहल अछि। लोक सभ एहि समस्याक समाधान लेल स्थानीय मुखिया सहित प्रखंडक पदाधिकारि सभसँ कतेको बेर फरियाद केने छल मुदा विभागीय उदासीनताक कारण सड़क पर जलजमावक समस्या महीनों सँ बनल अछि। आक्रोशित ग्रामीण सभ सोमदिन 13 अगस्तकेँ सड़क पर गाछ खसा सड़क जाम क’ देलनि। जामक दौरान  लोक सभ स्थानीय जनप्रतिनिधि, मुखिया, विधायक आ सांसदके विरोधमे नारा सेहो लगौलक। हलांकि सड़क जामक सूचना भेटिते थानाध्यक्ष अशोक कुमार अपन पूरा दल-बलक संग ग्रामीणसँ बातचीत करबाक लेल पहुंचल। थानाध्यक्षक आश्वासन पर सड़क जाम हटाओल गेल। थानाध्यक्ष कहलनि जे जलजमावक समस्या दूर करबाक लेल संबंधित विभागकेँ कहल गेल अछि आ जल्दीये एहि समस्यासँ अहाँ लोकनिकेँ छुटकारा भेटत। कमोबेश इहे हाल मधुबनी शहरक आयकर आफिसक सामने बला मुख्य सड़कक अछि। एतबे नहि मधुबनी शहरक जलधारी चौकसँ बिजली कालोनी आ भौआड़ा जाय बला सड़कक सेहो अहिना हाल अछि। एहनमे जलजमाव भेलाक कारण  पानिसँ होय बला रोग पसरि सकैत अछि जाहि पर संबंधित विभागकेँ तुरंत कार्रवाई करबाक चाही।