पुलिसक हैवानियत: युवक के लहासक गरदनि मे रस्सी बान्हि कय घिसियाबैत नदी सं बाहर निकाललक

    0
    269

    बैशाली, मिथिला मिरर: एकबेर फेर मानवता के शर्मशार करय बला खबरि प्रश् मे आयल अछि। ताजा घटना कोनो आम लोकक द्वारा नहि बल्कि कानून आ मानवाधिकारक सुरक्षा कैनिहार द्वारा कायल गेल अछि। गंगा नदी मे भेटल एकटा युवक के लहास के पुलिस द्वारा गर्दनि मे रस्सी बान्हि कय सैकड़ो मीटर जमीन पर घसीट कय बाहर निकालल गेल।

    ज्ञात हो कि पूर्व मे वैशाली जिला मे शव के संग अहि तरहक व्यवहारक लेल बिहार सरकार डगमगा गेल छल। आनन् फानन मे तत्कालीन वैशाली डीएम ललन सिंह आ एसपी अनुपमा एस. निलेकर पर करवाई करैत ट्रान्सफर कय देल गेल छल।

    सूत्रक अनुसार मंगलदिन गंगा नदी के निकट देसरी थाना क्षेत्रक अम्वेडकर चैक के समीप काली घाटक समीप स्थानीय लोक एकटा युवक के लहास के पानि मे देखलनि। जाहि के बाद पुलिस के सूचना देल गेल आ तकरीबन 2 घंटा बाद मौका पर पहुचल पुलिस अहि तरह लाह्स के नदी सं बाहर निकाललक।