आरा मे 14 टा दरोगा आ 32 टा सिपाही के जमादार बनाओल गेल

    0
    289

    आरा, मिथिला मिरर: स्थानीय पुलिस कार्यालय मे आयोजित एकटा कार्यक्रम के दौरान 14 दरोगा समेत 32 टा सिपाही के जमादार बनाओल गेल। बताओल जा रहल अछि जे, मौका पर डीएसपी संजय कुमार, इंस्पेक्टर शाही, अरुण गुप्ता, रघुनाथ सिंह, मेजर मनोज कुमार राम, मुरारी गुप्ता सहित बहुतो पदाधिकारी उपस्थित छलाह।

     एम्हर कार्यक्रम के सम्बोधित करैत स्थानीय एसपी पुलिस स अफसर बनल जवान के कर्तव्यनिष्ठाक पाठ पढ़ौलनि आ संगहि सदैव कर्तव्य तथा राष्ट्रहित मे काज करबाक बात कहलनि।