अंतर्राष्ट्रीय महिला दिवस पर ‘मायक आँचर’ पर लिखल हमर गीत

    0
    284

    आब बिसरब कोना सुनू जननी अहाँ
    कतेक निर्मल सेहंतित अहँक ऑचर
    हिय सिहकै जखन बहै लोचन तखन
    नोर पोछलहुँ लपेटि हम अहँक ऑचर
    कोना अयलहुँ खलक ? मोन नहि अछि कथा,
    पवित्र पटसँ सटल देह भागल व्यथा
    सिनेह निश्छल अनमोल पहिल सुनल मायबोल
    मोह ममताक आन के‘ करत परतर
    दांत दूधक उगल, पानि पेटसँ बहल
    देह लुत्ती भरल कंठ सरिता सुखल
    जी करै छल बिसबिस तालु अतुल टिसटिस
    मुॅहमे लऽ चिबेलहुँ अहँक ऑचर
    नेना वयसक अवसान ताक‘ चललहुँ हम ज्ञान,
    कएलहुँ गणना अशुद्ध गुरू फोड़ि देलनि कान
    सिलेट बाटपर पटकि मायक कोरमे सटकि,
    तीतल कमलाक धारसँ अहँक ऑचर
    देखि पॉचमक फल मातृदीक्षा सफल,
    भाल तिरपित मुदा ! उर तृष्णा भरल
    गेलहुँ कत‘ हे अम्बे कत‘ गेल ऑचर
    ताकि रहलहुँ हम ऑगनसँ पिपरक तर !

    अहँक आँचर ( गीत ) शिव कुमार झा ‘टिल्लू’