पूर्व सांसद लवली आनंद काँग्रेसमे भेलीह शामिल

0
640

पटना, मिथिला मिरर :  चुनावी साल चलि रहल अछि। लोकसभाक चुनाव नजदीक आबि रहल अछि। जेना जेना चुनावक दिन कम भेल जा रहल अछि राजनीतिक हलचल बढ़ल जा रहल अछि। सभ राजनीतिक दल चुनावी तैयारीमे लागी गेल अछि। सभ अपना हिसाबे गणित बैसा रहल अछि। चुनाव अबिते नेता सभक दल बदल सेहो शुरू भ’ जायत अछि। सभ अपन गोटी सेट करबामे लागी जाइत अछि। हालही बितल तीनटा राज्यक चुनावमे काँग्रेस सत्तामे आयल। तकरा बाद काँग्रेस लेल आश जागल अछि। काँग्रेस लगातार चारी सालसँ अपन जमीन बनेबामे लागल अछि। एहि कड़ीमे आई पूर्व सांसद लवली आनंद काँग्रेसमे शामिल भेलिह। पटनाक सदाकत आश्रममे बेरुपहर 3 बजे बिहार काँग्रेस प्रभारी शक्ति सिंह गोहिलकेँ मौजूदगीमे काँग्रेस पार्टीक सदस्यता लेलिह। एहि कार्यक्रममे प्रदेश अध्यक्ष मदन मोहन झा समेत कतेको नेता उपस्थित छलाह। लवली काँग्रेसमे शामिल हेतीह एकर कयास 1 जनवरी क’ मदन मोहन झाक संग भेल भेटघाँटसँ शुरू भ’ गेल छल। बतादी जे लवली आनंद भले काँग्रेसमे शामिल भेलिह मुदा हुनक पति आ पूर्व सांसद आनंद मोहनकेँ समर्थकक संगठन “फ्रेंड्स ऑफ आनन्द” पूर्ववत चलैत रहत। भेट रहल जानकारीकेँ मुताबिक लवली काँग्रेसक हाथ थामलाक बाद शिवहर सीटसँ अपन दावेदारी ठोंकी देलनि अछि।

कहियो शिवहर सीटसँ हुनक पति आनंद मोहन सांसद छलथि। वर्तमानमे आनंद मोहन हत्यासँ जुड़ल मामलामे सजा काटी रहल छथि। आनंद मोहनकेँ पकड़ सवर्ण समाजमे मानल जाइत अछि। एहनमे लवलीक कांग्रेसमे एंट्रीसँ पार्टीकेँ सवर्ण वोट जादा भेटत एहन अनुमान लगाओल जा रहल अछि। कहियो पीएम मोदी लेल वोट माँगी चुकल पूर्व सांसद लवली आनंद एहिबेर शिवहर संसदीय क्षेत्रसँ काँग्रेसकेँ टिकट पर चुनाव लड़तीह। एहनमे देखबाक बात इ अछि जे की शिवहरक जनता हुनका पर विश्वास करत आ आगामी चुनावमे लवलीकेँ जीता संसद पठाओत। आगामी चुनावमे हुनकर मुकाबला वर्तमान सांसद रमा देवीसँ भ’ सकैत छनि। भले लवली किछु चुनावसँ हारी रहल छथि मुदा लोक सभ आनंद मोहनकेँ करिश्मा आइयो नै बिसरल अछि। हालाँकि 2009 क लोकसभा चुनाव सेहो लवली शिवहरसँ काँग्रेसक टिकट पर लड़ल छलिह, मुदा जीत नै सकलीह। एकबेर फेर काँग्रेस पार्टी हुनका पर उम्मीद क’ रहल अछि। 1994 मे लवली आनंद वैशाली लोकसभाक उपचुनाव जीत राजनीतिमे एंट्री केने छली। दल बदलक रिकॉर्ड बना चुकल लवली आनंद एहिसँ पहिने अपन बेटाक संग मिल फ्रेंडस ऑफ आनंद केँ बैनर तले अपन समर्थक सभकेँ गोलबंद क’ रहल छलिह।

मैथिलीकेँ अष्टम अनुसूचीमे शामिल करेबाक पाँछा आनंद मोहन सेहो मेहनत केने छलाह। आनंद मोहन 1993 मे बिहार पीपुल्स पार्टीक स्थापना केलथि। 1995 मे युवा आनंद मोहनमे लोक सभ भावी मुख्यमंत्री देख रहल छल। 1995 मे हुनक बिहार पीपुल्स पार्टी नीतीश कुमारक तत्कालीन समता पार्टीसँ बेहतर प्रदर्शन केने छल। आब ई पार्टी अस्तिवमे नै अछि।