पिकअप कें टक्कर सं बच्चा’क मौत, आक्रोशित ग्रामीण केलनि सड़क जाम

    0
    279

    मधुबनी, मिथिला मिरर: पिकअप वैन’क टक्कर सं सोमदिन भोरे पवन रामक 5 वर्षीय पुत्री अनुराधा कुमारीक मौत भय गेल। घटनाक बाद बाबूबरही थाना पुलिस पिकअप वैन सहित चालक के गिरफ्तार कय लेलक अछि। आक्रोशित ग्रामीण घटनाक विरोध मे तकरीबन 3 घंटा धरि खुटौना बाबूबरही मुख्य पथ कें जटही गाम मे जाम कय देलक। अनुराधाक घर जटही गाम मे पीडब्ल्यू डी सड़कक कात मे अछि।

    बच्ची सोमदिन भोरे अप्पन मां’क संग सड़क पार कय रहल छल। ता धरि दोनवारी हाट सं आबि रहल पिकअप के चपेट मे अनुराधा आबि गेली। जाहि सं घटनास्थल पर बच्चीक मौत भय गेल। चालक पिकअप वैन लय भागि गेल। मुदा सूचना भेटितहि बाबूबरहीकें एएसआइ विनय शंकर प्रसाद मुख्य सड़क पर आबि गेलाह। तेजी सं भागी रहल चालक के वाहन सहित गिरफ्तार कय थाना आनल गेल।

    एम्हर आक्रोशित ग्रामीण मृतककें घरक निकट लहास लय सड़क के जाम कय देलनि। ग्रामीणक कहब छल जे, मृतक के परिजन के उचित मुआवजा देल जाए संगहि लापरवाह चालक पर कठोर स कठोर कार्रवाई कायल जाए। जाहि के बाद बीडीओ स बार्ताक बाद आश्वासन देल गेल जे, पोस्टमार्टम रिपोर्ट व बीपीएल सूची जमा करेबाक बाद 20 हजार रुपैयाक मुआवजा देल जायत।