दिल्लीकेँ बुराड़ी स्थित झरौदामे मैथिल समुदायक संग उपद्रविक दुर्वव्यवहार

    0
    307

    दिल्ली-मिथिला मिररः बुराड़ी विधानसभा क्षेत्रक झरौदा पार्ट-३ मे पिछला २०-२२ बरख सँ दुर्गा पूजाक आयोजन स्थानीय मैथिल समाज द्वारा होइत आबि रहल अछि। प्रतिदिन साँझ-प्रात पूजा-अर्चना, धूप-आरती संगहि मैथिली गीत-संगीत, भजन-कीर्तन,सांझ-प्रात बूढ़-बुजुर्ग लोकनिक बैसार हेतु ई एहेन उपयुक्त जगह अछि जतय ई लोकनि एक-दोसरा सँ मैथिली भाषामे गपसप करैत अपनापन बढ़ौने छथि । एहि स्थान के रकबा लगभग १२५-३० गज जमीनमे अछि जे ग्राम सभा मे अबैत छैक।

    एहि स्थान पर मिथिलाक पद्धति सँ दुर्गा पूजाक आयोजन होइत आबि रहल छल जाहि जमीन पर आब भूमाफियाक नजरि लागि गेलैक आ एहि समाजमे दहशत केर माहौल बना जबरन कब्जा करबाक पुरजोर प्रयास मे सेहो लागल अछि। हालांकि स्थानीय मैथिल द्वारा जबरन कब्जाक पुरजोर विरोध हएब शुरू अछि, मुदा आब भूमाफिया सभ जोर जबरदस्ती आ मारिपीट पर उतारू भ’ गेल अछि जकर विरोधमे मैथिल लोकनि सेहो लरबाक मरबाक लेल तैयार छथि। झरौदाक स्थानीय मैथिल लोकनिक अपील छनि जे २०-२२ बरख सँ आबि रहल पूजा परम्परा आ स्थानक रक्षा हेतु दिल्ली आ लगीचमे रहनिहार मैथिल लोकनि एकर संज्ञान लैत प्रशासनीय स्तर पर सहायता करथु।