पति बनल हैवान, पत्नी आ दुनु बेटीकें मारलक गोली

    0
    290

    खगड़िया, मिथिला मिरर: खगड़िया जिलाक मुफ्फसिल थाना क्षेत्रक कुमहरचक्की गाममे  आपसी विवादमे पति अपन पत्नी आ दुनु बेटीकें गोली मारि हत्या क’ देलक। गोली लगबाक कारण तीनूक मौत घटनास्थलपर भ’ गेलनि। एहि हत्याकांडसँ  पूरा गाममे सनसनी पसरि गेल अछि। घटनाक सूचना भेटला पर पुलिस मौका–ए–वारदात पर पहुँचि आरोपीकेँ गिरफ्तार क’ लेलक। मृतकमे आरोपीक पत्नी पूजा देवी आ बेटी मीनाक्षी कुमारी आओर सोनम कुमारी छथि। एहन बताओल जा रहल अछि जे कुनो बात ल’ भोरमे पति-पत्नीक बीच बकझक भेल छल जकर बाद मामला शांत भ’ गेल, मुदा थोड़ेक कालक बाद गोलीक तड़-तड़ाहटसँ पूरा गाममे हाहाकार मचि गेल। गोलीक आवाज सुनि जखन लोक सभ पहुंचला त’ देखलाह जे मिठठू अपन पत्नी आ दुनु बचियाकेँ गोली मारि देने छल। बादमे गामक लोकसभ एहि घटनाक सूचना पुलिसकें देलखिन। सूचना पाबि पुलिस मौका–ए–वारदातपर पहुँचि तीनू  लाशके अपन कब्जामे ल’ पोस्टमार्टमक लेल पठा देलक। पुलिस एहि घटनाकें आरोपी मिठठू कुमारसँ पूछताछ क’ रहल अछि। समाचार लिखबा काल धरि घटनाकें अंजाम किएक देल गेल तकर कुनो स्पष्ट कारण सामने नै आएल छल।