कर्जा ल’ बनौलनि शौचालय, भेलीह सम्मानित

0
514

सहरसा, मिथिला मिरर : भारत सरकारक स्वच्छता अभियानमे शौचालय निर्माण प्रमुख रुपें शामिल अछि, एहनमे जँ घरक गृहिणी उधार ल’ शौचालय बनाबथि त’ ई  एकटा साहसिक कदम कहल जा सकैछ। सहरसाक गोलमा पश्चिम पंचायतमे किछु एहने देखवामे आबि रहल अछि।  निश्चित रुपे एहन गृहिणी सम्मानक हक़दार छथि। ब्लॉक प्रमुख आ बीडीओ एकटा सम्मान समारोह आयोजित क’  हुनका लोकनिकें जे शौचालय निर्माण कार्य पूरा क लेने छथि सम्मानित केलाह अछि। उपप्रमुख दिनेश प्रसाद यादव द्वारा संचालित कार्यक्रममे बीडीओ दीपक राम कहलथि  जे प्रखंड क्षेत्रमे दर्जनों एहन गरीब लोक छथि, जे कर्ज ल’ अपन सम्मानक लेल शौचालय निर्माण क’ समाजकें नीक संदेश देलनि अछि। स्वतंत्रता दिवसक शुभ अवसर पर गोलमा पूर्वी आ पश्चिमी पंचायतकें ओडीएफ (खुलामे शौच मुक्त) घोषित करबाक पूरा संभावना अछि। जाहिमे स्थानीय जनप्रतिनिधि लोकनिक सहयोग जरूरी अछि। ब्लॉक प्रमुख उषा देवी कहलीह जे खुलामे शौचमुक्तक लेल चलाओल जा रहल स्वच्छ भारत अभियानकें सफल बनेबामे परिवारकेँ सभ सदस्य लोकनिक जिम्मेदारी थिक। समारोहमे कर्ज ल’ शौचालय बनाबयवाली गोलमा पश्चिम पंचायतक कला देवी आ अनीता देवी, गोलमा पूर्वी पंचायतक गीता देवी आ सीता देवीकें ब्लॉक प्रमुख आ बीडीओ दुनु गोटे सम्मानित केलखिन।