रसियारीसँ वरुणा घाट धरि होयत स्टेट हाइवे-88 क’ निर्माण : नीतीश कुमार

0
1046

दरभंगा, मिथिला मिरर : बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि अछि जे रसियारीसँ वरुणा घाट धरि स्टेट हाइवे-88 क’ निर्माण कएल जायत। जल्दीए एहि दिशामे काजक शुरूआत होयत। वरूणा पुलसँ सीधे हाजीपुर धरि दूरी आसानीसँ तय भ’ सकैत अछि। मुख्यमंत्री 27दिसम्बर दरभंगाक बिरौल-गंडौल सड़कक उद्घाटन कएलाक बाद खोरा गाछीमे जनसभाकेँ संबोधित करैत कहलाह। संगहि कहलाह कोसी घाटमे बलुआहा पुलक निर्माण भेलाक बाद एहि सड़ककेँ बनलासँ सहरसा-दरभंगाक दूरी कम भ’ जायत आ समय सेहो कम लागत। 531 करोड़ रुपैयासँ बलुआहा घाट पर पुलक निर्माण भेल अछि। बलुआहासँ गंडौलक दूरी 12.67 किलोमीटर अछि मुदा विषम भौगोलिक स्थितिकेँ कारण 404 करोड़ रुपैया एहि परियोजना पर खर्च भेल। 196 एकड़ जमीन भू-अर्जन कएल गेल। एहि पर 93 करोड़ 85 लाख रुपैया खर्च भेल। सीएम कहलनि जे एनएच-57 स’ सहरसाक दूरी 150 किलोमीटर अछि। आब नवका मार्गसँ एकर दूरी 42 किलोमीटर रहि गेल। मुख्यमंत्री कहलनि जे कुशेश्वरस्थानसँ फुलतोरा घाट धरि सड़क बनाओल जायत। एकर शिलान्यास भ’ गेल। फुलतोरासँ खगडिय़ा रोडक निर्माण पर 243 करोड़ रुपैया खर्च होयत। एहि रस्तामे सातटा पैघ पुलक निर्माण सेहो होयत जाहि पर लगभग 147 करोड़ खर्च होयत। दू सालमे इ बनि क’ तैयार भ’ जायत।

बूढ़ी कनकई पर सेहो बनत पुल

ओतहि किशनगंजक बूढ़ी कनकई नदी पर 17 करोड़केँ लागतसँ पुलक निर्माण कएल जायत। एहि पुलकेँ बनलासँ प्रखंडक पाँच पंचायतक लगभग 25 हजारक आबादी लाभान्वित होयत। मस्तान चौकसँ बरबट्टा जाय वाली 21 किमी लम्बा सड़ककेँ 15म किलोमीटर पर बनय वाली पुलक शिलान्यास कोचाधामन विधायक मुजाहिद आलम शनिदिन कएलनि। पुल बनलासँ  काठामठा, मौधो, कमलपुर, नजरपुर आ बगलबाड़ी पंचायतक आबादीकेँ प्रखंड मुख्यालय आ जिला मुख्यालय जाय-आवयमे सुविधा होयत। फिलहाल बूढ़ी कनकई नदी पर मौधो घाट पर स्क्रू पाइल पुल बनल अछि जे जर्जर भ’ चुकल अछि। एहि अवसर पर आयोजित समारोहकेँ संबोधित करैत स्थानीय विधायक कहलनि जे ओ जनताके सेवक छी आ जाहि दिनसँ जनताकेँ सेवा नहि क’ पायब ,वोट मांगय लेल सेहो नहि जायब। संगहि कहलाह जे सरकारक सिंचाई योजनाक लेल खेतमे बिजली पहुंचेबाक काज चलि रहल अछि। साल 2020 धरि हरेक घरमे नलक जल पहुँचा देल जायत।