मनोज चौधरीक हत्याक विरोधमे एमएसयूक दरभंगा बंदक व्यापाक असर

    0
    419

    दिल्ली,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झा/न्यूज डेस्कः 25 मार्च कऽ दरभंगाक टावर चैक पर सरेआम आगि लगा कऽ मारवाक जे विभत्स घटना सामने आयल छल ओकर 30 मार्च कऽ दुःखद अंत भेल। दिल्लीमे इलाजक दरम्यान मनोज चौधरीक निधन भए गेलनि आ ओहिकेँ बाद घटना पर आक्रोशित मिथिला स्टूडेंट यूनियन शुक्रदिन दरभंगा बदंक ऐलान केने छल जेकर व्यापाक असर शुक्रदिन भोरेसँ देखना जा रहल अछि। घटनाक बाद राज्य सरकार भारी संख्यामे पुलिस आ रैफकेँ जवानकेँ दरभंगामे उतारि देलक अछि।
    बंदक व्यापक असर दरभंगाक लहेरिया सरायमे देखल जा रहल अछि। प्रायः समस्त व्यापारिक प्रतिष्ठान ओहिठाम बंद अछि तऽ दोसर दिस भोरमे दरभंगा-नई दिल्ली बिहार संपर्क क्रांति सुपरफास्ट एक्सप्रेसकेँ रोकि व्ययापाक प्रदर्शन कैल गेल तहिना। जगह-जगह एमएसयूक सेनानीक संग-संग आम जनताक संग सेहो अहि बंदकेँ भेल रहल अछि जाहि सँ बंदक असर और बेसी व्यापक भेल जा रहल देखना जाइत अछि।