नीतीश कुमार केलनि बिजलीकें नब दामक घोषणा, आब चारि रुपैया धरि सस्ता भेल बिजली

    0
    273

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारमे बिजली उपभोक्ताकें राहत भेटल अछि। बिजलीक दाममे 55 फीसदीक बढ़ोतरी हेबाक बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शुक्रदिन एकरा कम करैत नब दामक घोषणा केलनि। मुख्यमंत्री लोककेँ राहत दैत बजट सत्रक अंतिम दिन विधानसभामे बिजलीक नब दामक घोषणा केलनि। अपन संबोधनके दौरान नीतीश कहलनि जे, पड़ोसी राज्य सं बिहारमे बिजलीक दाम कम अछि। अहि दौरान ओ शहरी आ ग्रामीण क्षेत्रक लेल अलग-अलग दामक घोषणा केलनि।

    नीतीश कुमार कहलनि जे, आब शहरी उपभोक्ताकें प्रति यूनिट 1 रुपैया 49 पाईकें अनुदान भेटत आ ग्रामीण इलाककें विनियामक आयोगक अनुशंसा पर पुरान दाम 6 रुपैया 45 पाई पर सेहो 3 रुपैया 10 पाई प्रति यूनिटक अनुदान भेटत।

    नब दामके तहत कुटीर ज्योति उपभोक्ताकें 3 रुपैया 59 पाई प्रति यूनिटक अनुदान भेटत जहनकि कृषि काजक लेल 4 रुपैया 29 पाइकेँ प्रति यूनिट अनुदान भेटत। ओ कहलनि जे, नब वित्तीय वर्षमे बिजली कंपनीकें 2952 करोड़ रुपैयाक अनुदान भेटत जे, पिछला वर्ष सं 248 करोड़ रुपैया अधिक अछि।