सीट बँटबाराक लेल महागठबंधनमे बनि रहल अछि रणनीति, खरमासक बाद भ’ सकैत अछि घोषणा

0
303

पटना, मिथिला मिरर : आगामी लोकसभा चुनावकेँ देखैत एनडीएमे सीट बँटवारा भ’ गेल अछि, मुदा दोसर तरफ महागठबंधनमे एहि लेल माथापच्ची चलि रहल अछि। ओना महागठबंधनक घटक दल पूर्ण तरहें आब सक्रिय भ’ गेल छथि। एहि लेल महागठबंधनक महत्‍वपूर्ण नेता सभक एकटा बैसार नेता प्रतिपक्ष तेजस्‍वी यादवकेँ आवास पर भेल। कहल जा रहल अछि जे कुन पार्टी कतेक सीट लड़त, संगहि कोन पार्टी लग कतेक दमदार उम्मीदवार छनि, ई सभ बात लगभग तय भ’ गेल अछि। केवल घोषणा भेनाई बाँकी अछि। जँ महागठबंधन नेता सभक बात पर विश्वास करी त’ खरमासक बाद एकर खुलासा कएल जायत। महागठबंधन समन्वय समितिक औपचारिक घोषणा अखनि नै भेल अछि। मुदा बैठकमे राष्‍ट्रीय जनता दल (राजद) सँ तेजस्वी यादव, अब्दुल बारी सिद्धकी, कांग्रेस प्रदेश अध्यक्ष मदन मोहन झा, राष्‍ट्रीय लोक समता पार्टी (रालोसपा) प्रमुख उपेंद्र कुशवाहा, हिन्दुस्तान आवाम मोर्चा (हम) प्रमुख जीतनराम मांझी आ वीआइपीस मुकेश सहनी मौजूद छलाह।
बैठक खत्म भेलाक बाद तेजस्‍वी यादव बतौलनि जे विपक्षी एकता आ चुनावके ल’ बातचीत भेल। बैठकमे भेल फैसलाक खुलासा खरमासक बाद कएल जायत। रालोसपा सुप्रीमो उपेंद्र कुशवाहा कहलनि जे बैठकक प्रमुख एजेंडा छल जे महागठबंधन बिहारक सभ 40 लोकसभा सीट कोना जीतल जाय एहि पर चर्चा। विपक्ष चुनावमे मजबूतीसँ उतरत। हम पार्टी अध्यक्ष जीतन राम मांझी आ बिहार प्रदेश कांग्रेस अध्‍यक्ष मदन मोहन झा कहलनि जे बैठकमे जनविरोधी सरकारकेँ उखाड़ी फेंकवाक संकल्‍प लेल गेल। एकर स्‍ट्रैटजीक घोषणा खरमास (14 जनवरी) क’ बाद कएल जायत।

भाजपा-जदयू आ लोजपामे सीट बँटवाराक बाद महागठबंधनक घटक दल पर सेहो जल्दिये सीट बँटवाराक दबाव पड़ी रहल अछि। एहि बाबत रांचीमे राजद प्रमुख लालू प्रसादसँ घटक दलक प्रमुख नेता सभक अनेकों दौरक बात-मुलाकातसँ बहुत हद धरि स्थिति साफ भ’ गेल अछि। मानल जा रहल अछि जे राजदकेँ तरफसँ लालू प्रसाद यादव बहुत हद धरि एहि परसँ पर्दा हटा देने छथि। एमहर बिहार काँग्रेस प्रभारी शक्ति सिंह गोहिल आ प्रदेश अध्यक्ष मदन मोहन झा अपन स्तरसँ सीटक आकलन क’ लेने छथि। मांझी आ कुशवाहा दिशसँ पाँच-पाँच सीटक  दावेदारी कएल जा चुकल अछि। महागठबंधनमे हालहि आएल मुकेश सहनी सेहो अपन अपेक्षाक इजहार क’ देने छथि। एहनमे घटक दलक प्रतिनिधि सभक समग्रताकेँ देखैत  मंथन जरूरी छैक।

आब देखबाक बात ई अछि जे खरमासक बाद सीट शेयरिंगक कोन फार्मूला सामने आओत आ संगहि इहो बात जे महागठबंधनक सभ घटक दल ओहि फोर्मुला पर संतुष्ट हेताह वा गठबंधनसँ इतर कोनो आन दिशामे कदम उठेताह, ई आबय वला दिनमे देखबाक भेटत।