आगि मे झरकि कय महिला सहित दू गोट बच्चाक मौत

    0
    271

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: मधेपुरा जिलाक उदाकिशुनगंज थाना क्षेत्रक शहजादपुर लुखी टोल गांव मे सोमदिन राति घर मे आगि लगला सं एकटा महिला आ महिलाक दू गोट बच्चाक मौत भय गेल।

    पुलिस सूत्रक अनुसार शहजादपुर लुखी टोल निवासी मणि देवी (28) के घर मे अलाव स निकलल चिंगारी सं अचानक आगि लागि गेल। अहि दुर्घटना मे मणि देवी आ दू गोट बच्चा हीरालाल मंडल (07) आ सुनीता कुमारी (04) वर्षक मौका पर झुलसि कय मौत भय गेल। मौका पर पहुॅचल पुलिस लहास के कब्ज़ा मे लय पोस्टमार्टम के लेल पठा देलक अछि।