किडनी, कैंसर आ अन्य गंभीर बीमारीमे पत्रकार कें 50 हजारकें मदद करताह सांसद पप्पू

    0
    287

    दिल्ली-मिथिला मिररः मधेपुरा सं सांसद आ जन अधिकार पार्टी (लो)क संस्थापक राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव सदैव अपना ओहिठामक रोगीकें मदद करवाक लेल आगू रहैत छथि, पप्पू यादक दिल्ली स्थित आवास पर हर दिनक सैकड़ोंक संख्यामे रोगी देखल जाइत छथि जे ओहिठाम रहि कऽ अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान अर्थात एम्स सहित दिल्लीक अन्य अस्पतालमे अपन इलाज करावैत छथि आ हुनका लोकनिक लेल पप्पू यादवक दिस सं रहवाक आ खेबाक-पीबाक समान मुहैया कराओलि जाइत अछि।

    मुदा अहि बेर पप्पू यादवक जे घोषणा अछि ओ पत्रकार समाजक लेल अछि। पटनामे एकटा संवाददाता सम्मेलन करैत सांसद पप्पू यादव घोषणा कैलनि जे जन अधिकार पार्टी (लो) पत्रकार आ हुनका परिजनकें कैंसर, किडनी, ब्रेन ट्यूमर, सहित अन्य गंभीर बीमारीमे 50 हजार टकाक मदद देत। संगहि पार्टी केन्द्र आ राज्य सरकार सं पत्रकार आ हुनका परिजनक लेल गंभीर बीमारीमे विशेष फंड बना मदद देवाक बाटमे पहल सेहो करत। पटनामे एएनआइ के वरिष्ठ पत्रकार संदीप वर्मा विगत दिन एकटा दुर्घटनामे घायल भए गेल छलथि आ हुनकर इलाजक वास्ते हुनका पुत्र सोनू वर्माकें 50 हजार टकाक सहयोग राशी दैत पत्रकार सब सं सेहो हुनकर सहयोग करवाक आग्रह कैलनि। पप्पू यादवक अहि सकारात्मक पहल कें मिथिला मिरर कोटिशह प्रशंसा करैत अछि।