कोसीक कटाव स तबाह होइत जिनगी

    0
    287

    भागलपुर, मिथिला मिरर: एकटा पुराण कहाबत अछि जे, कोसी सब साल अप्पन बात मे बदलाव अनबाक लेल विख्यात छथि। अहि साल सेहो कोसी अप्पन बात मे बदलाब आनैत अप्पन नियमित धारा स पांच किलोमीटर भीतर बहनाई शुरू कय देलीह, जाहि स बहुतो क्षेत्र में अत्यधिक कटाव होबय लागल अछि।

    कोसी मे भ रहल अहि कटाव के देखतहिं ककरो रोआँ ठाढ़ भ जायत, नदीक तट पर ठाढ़ लोकक पैर तर स जमीन कखन खिसकी जाए से कहनाइ मुश्किल अछि। नदी लगातार खेत तथा मकान के अप्पन आगोश मे लय रहलीह आ लोक बेबस भय अप्पन सबकुछ लुटैट देखबा लेल मजबूर छथि।

    गाम आ ग्रामीण के बचेबा लेल प्रशासन आ जनप्रतिनिधिक उदासीनता देखि ग्रामीण आक्रोशित छथि। जहन कि कटाव के रोकबा लेल बोरा मे बाउलक जगह माटि भरल जा रहल अछि। लोकक कहब छन्हि जे, अहि कटाव के रोकबा नाम पर सिर्फ खानापूर्ति कायल जा रहल अछि। जहन कि भाजपा के राष्ट्रीय प्रवक्ता शाहनवाज हुसैन कहलनि जे, कटाव निरोधी कार्य में लूट मचल अछि, धरातल पर किछु काज नहि भ रहल अछि।

    हाल के स्थिति मे लोक गाम-घर छोड़बा लेल बाध्य सेहो भय रहल छथि, जाहि स स्पष्ट बुझना जा रहल अछि जे, प्रशासन ज कटाव के रोकबा लेल जल्दी स कोनो ठोस प्रयास नहिं करता त कोसी कतेको गाम के अपना आगोश मे समा लेती।