रविदिन सांझ मे तेसर बेर देशक प्रधानमंत्री पदक शपथ लेताह नरेन्द्र मोदी

0
27

मिथिला मिरर-दिल्लीः प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी लगातार तेसर बेर देशक प्रधानमंत्री पदक शपथ रविदिन सांझ मे लेबय जा रहला अछि। राष्ट्रपति भवन मे शपथ ग्रहण समारोहक तैयारी अंतिम चरण मे अछि। हालांकि एहि बेर भारतीय जनता पार्टी केँ अपना बूते बहुमत नहि भेटलैक मुदा चुनाव पूर्व बनल राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन केँ देश 293 सीट दऽ सरकार बनेबाक लेल पूर्ण बहुमत देलक। हालाहिं संपन्न भेल लोकसभा चुनाव मे भारतीय जनता पार्टी अपना दम पर 240 सीट जितबा मे सफल रहल जखन कि सहियोगी दल तेलगु देशम पार्टी 16, जनता दल (युनाइटेड) 12 मुख्य भूमिका मे अछि। लोक जनशक्ति पार्टी 5 आ हम 1 सीट एहि गठबंधन मे बिहारक दबदबा केँ बरकरार रखलक अछि।
शुक्रदिन पहिने भारतीय जनता पार्टीक संसदीय दल नरेन्द्र मोदी केँ पार्टीक नेताक रूप मे चुनलक तकरा बाद एनडीएक बैसार मे सर्वसम्मति सँ नरेन्द्र मोदी केँ एनडीएक नेता स्वीकार कयल गेल। गठबंधनक दुनू दल टीडीपी आ जदयू गर्मजोशी सँ एहि बात केँ देशक सोंझा रखलक जे ओ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी अगुआइ मे बिना को शर्त काज करबाक लेल तैयार अछि। बेरा-बेरी एनडीएक समस्त घटक दलक नेता प्रधानमंत्री पदक लेल नरेन्द्र मोदीक नाम पर अपन सहमति जतबैत एहि सरकार पर पूर्ण विश्वास व्यक्त कयलनि।
बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन संबोधन मे एतेक धरि कहि देला जे नरेन्द्र मोदी केँ आइये प्रधानमंत्री पदक शपथ लऽ लेताह तँ नीक रहत, हमसभ ई देखबाक लेल व्यग्र छी। अपन संबोधन समाप्त कऽ नीतीश कुमार अपना सीट धरि जाय लगलाह तँ बीच मे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ पैर छूबाक कोशिश कयलनि मुदा प्रधानमंत्री हुनका रोकि देलनि।
एहि शपथ ग्रहण समारोह मे पड़ोसी देशक राष्ट्राध्यक्ष लोकनि केँ सेहो आमंत्रित कयल गेलनि अछि। बांग्लादेशक प्रधानमंत्री शेख हसीना, नेपालक प्रधानमंत्री पुष्प कलम दहल उर्फ प्रचंड, श्रीलंकाक राष्ट्रपति रानिल विक्रमसिंघे, भूटानक नरेश जिग्मे खेसर नामग्याल वांगचुक, माॅरीशसक प्रधानमंत्री प्रविंद कुमर जुगनाॅथ सहित अन्य राष्ट्राध्यक्ष लोकनि केँ अयबाक बात कहल जा रहल अछि।