पृथक मिथिला राज्यक गठनक लेल दू दिनक उपवास पर बैसहातः आंदोलनी मनोज झा

    0
    258

    दिल्ली-मिथिला मिररः पृथक मिथिला राज्यक अवधारनाकें लय आगामी 26-27 मार्च कऽ मिथिला राज्य आंदोलनी मनोज झा 2 दिनक उपवास पर जंतर-मंतर पर बैसताह। मिथिला मिरर सं बातचीत करैत मनोज झा कहलनि जे आजादीक बाद भाषाक आधार पर जे सात गोट राज्यक अवधारना कैल गेल छल ओहि मे सब राज्यक गठन भय गेल, मुदा एखनो तक मिथिला राज्यक गठनक लेल नहि त केन्द्र सरकार ओहिकें प्रति सकारात्मक रूख देखा रहल अछि आ नहि राज्य सरकारक नीयत साफ छैक।
    मिथिला लगातार केन्द्र ओ राज्यक लड़ाई मे आ पीसैत आबि रहल अछि, एतबे नहि पटनाक गद्दी पर समय दर समय बदलैत नेता चाहे ओ नीतीश-भाजपा संचालित एनडीए ओ आ कि लालू, नीतीश आ कांग्रेस संचालित महागठबंधन सबहक नेत एके रंग बुझना जाइत अछि। मनोज झा कहलनि जे मिथिला राज्य आ मांग नहि अपितु सरकारक उपेक्षाक बाद इ ओहिठामक आम लोकक जरूरत बनि गेल अछि। दिल्ली-एनसीआर मे रहनिहार समस्त मैथिलजन सं अपील करैत वरिष्ठ आंदोलनी मनोज कहलनि जे अपने सब बेसी सं बेसीक संख्यामे 26-27 मार्च कऽ दिल्ल्क जंतर-मंतर पहुंच अहि दू दिना उपवासमे अपन सहयोग दी आ मिथिला राज्यक मांग कें मजगूत करी।-