हवाई जहाजमे यात्री क’ सकैत छथि फोन आ इंटरनेटक इस्तेमाल

0
377

दिल्ली-मिथिला मिररः हवाई जहाजमे फोन आ इंटरनेटक इस्तेमाल हो आ कि नैँ एहि बात पर बहुत दिनसँ बहस चलि रहल छल। मुदा आब यात्री लोकनिक लेल एकटा खुश-खबरी अछि कि यात्री हवाई यात्रा दौरान फोन आ इंटरनेट सुविधाक लाभ उठा सकैत छथि। केन्द्रीय नागरिक उड्यन मंत्रालय भारत सरकार जनरवरी 2019मे एहि सेवाकेँ आम लोकक लेल चालू क’ देत। सामान्यतः भारतमे हवाई जहाज 36000 सँ 40000 हज़ार फीटक ऊँचाई पर उड़ैत अछि। मंत्रालय एहि बातकेँ तय करत जे कतेक ऊँचाई तक फाने और इंटरनेटक इस्तेमाल यात्री द्वारा कएल जा सकैत अछि।

जनवरीमे एहि मंत्रालय द्वारा एहि बातक घोषणा भेलाक बाद निश्चित रूपहिँ भारतमे हवाई यात्रा आओर बेसी रोमांचकारी भ’ जाएत। वैश्किव स्तर पर किछु देशमे एखनो हवाई यात्राक दौरान फोन आ इंटरनेटक सेवा उपल्बध अछि। हवाई सेवाक दरम्यान फोन आ इंटरनेटक सेवा पर रोको शुल्क लागत कि नैँ एहि बातक जानकारी तँ नागर विमानन मंत्रालय द्वारा जारी अधिसूचनाक बादे पता चलत, मुदा भारतीय हवाई यात्रीक लेल ई सेवा निश्चित रूपिंहँ एकटा नव अनुभव ल’ सामने आएत। फिलहाल एखन हवाई यात्राक शुरूआतमे फोन आ अन्य इलेक्ट्रॉनिक वस्तुकेँ या तँ फ्लाइट मोड अथवा बंद करए पड़ैत अछि